रक्त समूह(Blood Group)

 12.11.2022

आइ हम विभिन्न तरहक रक्त समूह बारे मे चर्चा कय रहल छी।

लाल रक्त कोशिका मे उपस्थित या अनुपस्थित  एन्टीबॉडी  तथा आनुवांशिक रूप सँ  माता पिता सँ  विरासत मे प्राप्त या अप्राप्त एंटीजन जे कि लाल रक्त कोशिकाक बाहरी सतह पर रहैत अछि ,  एहि सब आधार पर रक्तक विभिन्न समूह होइत अछि।

मुख्यतया एहि सब आधार पर रक्तक चारि टा समूह होइत अछि।

A, B, AB, और O

अनुवांशिक रूप सँ विरासत मे लाल रक्त कोशिकाक बाहरी सतह पर प्रोटीन उपस्थित या अनुपस्थित सेहो रहैत अछि। जँ ई प्रोटीन उपस्थित रहैत अछि त ओकरा पॉजिटिव रक्त समूहक श्रेणी मे राखल जाइत अछि। जँ ई  प्रोटीन अनुपस्थित रहैत अछि त ओकरा नेगेटिव रक्त समूहक  श्रेणी मे राखल जाइत अछि। एकरा आर एच फैक्टर सेहो कहल जाइत अछि।


एहि तरहेँ 8 प्रकारक रक्त समूह होइत अछि।

"ए"पॉजिटिव

"ए"नेगटिव

"बी "पॉजिटिव

"बी" नेगेटिव

"एबी"पॉजिटिव

"एबी"नेगेटिव

 "ओ" पॉजिटिव

"ओ "नेगेटिव

रक्त समूह" ए" मे ए एंटीजन  लाल रक्त कोशिकाक वाहर मे तथा प्लाज्मा मे "एन्टी -बी "एंटीबॉडी होइत अछि।

रक्त समूह "बी" मे बी एंटीजन लाल रक्त कोशिकाक बाहरी सतह पर तथा प्लाज्मा मे  "एन्टी ए" -एन्टीबॉडी  होइत अछि।

रक्त समूह" एबी" मे  दुनू एंटीजन ए और बी  रहैत अछि आ एंटीबाडी अनुपस्थित रहैत अछि।

रक्त समूह "ओ" मे एंटीजेन अनुपस्थित तथा दुनू तरहक एन्टी बॉडी  "एन्टी ए" तथा "एन्टी बी" प्लाज्मा मे उपस्थित रहैत अछि।


जखन किनको रक्त चढेवाक आवश्यकता होइत छैक तखन रक्त समूहक जांच आवश्यक होइत छैक, रक्त दाता तथा रक्त प्राप्त कर्ता  दुनू लेल। रक्त समूह केर मिलान जरुरी छैक अन्यथा वेमिलान(un matched) रक्त समूह सँ विपरीत एंटीजन -एन्टी बॉडी कारण खतरनाक  भ सकैत अछि।


"ओ" नेगटिव  वला व्यक्ति कोनो रक्त समूह वला व्यक्ति के  अपन रक्त दय सकैत अछि।

तहिना "एबी" पॉजिटिव वला व्यक्ति कोनो रक्त समूह वला ब्यक्ति सँ रक्त लय सकैत अछि।


रक्त के कमी (अनीमिया) मे जखन ककरो गंभीर स्थिति भ जाइत छैक तखन रक्त चढेवाक आवश्यकता होइत छैक।  पूर्वहि सँ अगर रक्त समूहक जानकारी हुए त ई श्रेयस्कर। सुरक्षा उद्देश्य सँ सभ केंअपन अपन रक्त समूह केर जानकारी हेबाक चाही।

Comments

Popular posts from this blog

अस्थिर एनजाइना हेतु उपचार

हृदय सँ सम्बन्धित बीमारी(अस्थिर एनजाइना)