विभिन्न प्रकारक रक्त सम्बंधित अन्य जानकारी।

 11.11.2022

आइ हम मनुष्य रक्तक विषय मे आगाँ चर्चा कय रहल छी।  

 लाल रक्त कण संख्याक  एक सामान्य शीमा होइत अछि । ओहि सँ बेसी कम  या बेसी अधिक भेनाइ ठीक नहि। ई सामान्य शीमा नीचा लिखल जा रहल अछि। 

महिला लेल -42 लाख सँ 54 लाख(लाल रक्त कोशिकाक संख्या)प्रति माइक्रो लीटर।

पुरुष लेल- 47 लाख सँ61 लाख(लाल रक्त कोशिकाक संख्या)प्रति माइक्रो लीटर।


ओही तरहेँ स्वेत रक्त कण संख्याक सामान्य शीमा नीचा निर्दिष्ट अछि।

4500 सँ 11000 प्रति माइक्रो लीटर।



प्लेटलेट  संख्याक शीमा होइत अछि

150000 सँ 450000 प्रति माइक्रो लीटर।


लाल रक्त कोशिका, स्वेत रक्त कोशिका एवं प्लेटलेटक निर्माण अस्थि मज्जा मे होइत अछि।  लाल अस्थि मज्जा मे मूल कोशिका(stem cell) होइत अछि तकरा हेमोसाइटो ब्लास्ट कहल जाइत अछि। लाल रक्त कोशिकाक सभ तत्व ओही हेमोसाइटोब्लास्ट  सँ बनैत अछि।


स्वेत रक्त कोशिकाक निर्माण अस्थि मज्जाक नरम टिसू मे होइत अछि आ ओकर विकास थाइमस ग्लैंड, लिम्फ नोड ,और स्प्लीन मे  टी कोशिका तथा बी कोशिका रूप मे होइत अछि।


प्लेटलेटक निर्माण सेहो अस्थि मज्जा मे होइत अछि। ओ मेगाकैरियोसाइट्स

नामक कोशिका जे अस्थि मज्जा मे पाओल जाइत अछि ,ओकरा द्वारा निर्मित होइत अछि आ तद उपरान्त रक्त प्रवाह मे प्रवेश करैत अछि।


एहि तरहेँ अस्थि मज्जा रक्त निर्माणक  स्थल थिक।


लाल रक्त कोशिका मे एक प्रोटीन रहैत अछि तकरा हीमोग्लोबिन कहल जाइत अछि। हीमोग्लोबिनक मुख्य कार्य होइत अछि फेफड़ा सँ ऑक्सीजन ल लेनाइ आ शरीरक प्रत्येक अंगक टिसू कें ऑक्सीजन आपूर्ति केनाय। अर्थात ऑक्सीजन केर वाहक हीमोग्लोबिन होइत अछि।

हीमोग्लोबिन 2  टा चीज सँ युक्त होइत अछि हेमो और ग्लोबिन। हेमो मे आयरन एटम रहैत अछि आ ग्लोबिन प्रोटीन छियैक। तें सामान्य हीमोग्लोबिन हेतु आयरन और प्रोटीन के कमी नहि हेबाक चाही।

फोलिक एसिड तथा विटामिन बी कम्प्लेक्स  लाल रक्त कोशिका बनवै मे सहयोग करैत अछि। फोलिक एसिड कमी सँ हीमोग्लोबिनक कमी भ जाइत अछि। 

लाल रक्त कोशिकाक संख्या आ सामान्य हीमोग्लोबिन स्तर शरीरक सभ अंग मे सुचारू रूप सँ ऑक्सीजन आ सब पौस्टिक तत्व पहुँचाबैक लेल जरूरी अछि।

हीमोग्लोबिन के सामान्य स्तर निम्नलिखित अछि।

पुरुष:-13.2 सँ16.6 ग्राम प्रति डेसी लीटर।

महिला:-11.6 सँ 15 ग्राम प्रति डेसी लीटर।


सभ तरहक रक्त, हीमोग्लोबिन सामान्य रहय ताहि लेल सचेष्ट रहैक चाही। एहि सब लेल  कार्बोहाइड्रेट, प्रोटीन , वसा के अलावा विटामिन तथा पौस्टिक खनिज सँ प्रति दिनक आहार युक्त अछि कि नहि ओहि पर अवश्य ध्यान देबाक चाही। विटामिनक निर्माण शरीरक अंदर स्वयं नहि होइत अछि। तेँ फल, और हरियर सब्जी सब ओहि लेल अवश्य खेबाक चाही।

 सब प्रकारक रक्त ( लाल, स्वेत , प्लेटलेट) जँ अपन  सामान्य  स्तर पर रहैत अछि तँ बुझू अधिक संभावना अछि  मोटामोटी पूर्णरूपेण स्वास्थ्य ठीक अछि। तेँ ओहि लेल सचेष्ट रहब आवश्यक।

Comments

Popular posts from this blog

अस्थिर एनजाइना हेतु उपचार

हृदय सँ सम्बन्धित बीमारी(अस्थिर एनजाइना)