लिवर (यकृत) / जिगर

 लिवर(Liver)

लिवरक नाम  यकृत , जिगर , कलेजा सेहो अछि।

पाचन तंत्रक एक अत्यधिक महत्वपूर्ण अंग अछि। ई एक प्रकारक ग्रंथि छी।

शरीरक आंतरिक अंग में लिवर सबसँ

नमहर अंग /ग्रंथि  होइत अछि। ओकर आकार फुटबॉल जकाँ होइत अछि। मुख्यतया ओ पेटक उपरका भाग मे दाहिना तरफ होइत अछि। डायफ्राम के निच्चा आ  अमाशय(stomach) सँ ऊपर। एकर थोरे बहुत भाग  पेटक बांयाँ तरफ तक सेहो रहैत अछि।

एकर वजन करीब डेढ़ किलो होइत अछि। शरीर मे पाचन क्रिया  तथा शरीरक सुरक्षा(defence) मे  लिवरक बहुत अधिक महत्व अछि।  शरीरक अंदर सैकड़ों रासायनिक क्रिया मे लिवरक भूमिका महत्वपूर्ण अछि। शरीर मे आनो अंगक अवश्यकीय रसायन सभ लिवर द्वारा श्रावित होइत अछि तें ओकरा आवश्यक ग्रंथि कहल जाइत अछि।

सारांश मे लिवरक मुख्य कार्य अछि

1. पाचन तंत्र सँ  अवै वला सभ रक्त कें शुद्ध क अन्य अंग कें आपूर्ति करैत अछि।

2. शरीरक अंदर  रासायनिक प्रक्रिया मे जे कोनो  हानिकारक(toxic) रसायन बनैत अछि तकरा हानिरहित(detoxify) करैत अछि।

3. दवाइ जे हम सब खैत छी ओकरा मेटाबोलाइज क शरीर द्वारा अवशोषित हेवाक योग्य रसायन मे परिवर्तित करैत अछि।

4.शरीरक अंदर विभिन्न तरहक कार्य हेतु विभिन्न तरहक प्रोटीनक आवश्यकता पड़ैत छैक जेना कि रक्तक थक्का बनवैक लेल प्रोटीन। ई प्रोटीन सव लीवरे बनबैत अछि।

5.शरीर मे जे उर्जाक उपयोग होइत अछि  ग्लाइकोजन रूप मे। भोजन सँ प्राप्त  ग्लूकोज़ सँ ग्लाइकोजन मे परिवर्तनक कार्य लिवर करैत अछि आ ई ग्लाइकोजन लिवर कोशिका एवं शरीरक मांशपेशी कोशिका मे जमा रहैत अछि। एहि संरक्षित ऊर्जा सँ शरीर जरूरत परला पर ऊर्जाक उपयोग करैत अछि।

6. कोलेस्ट्रॉल एवं ट्रायगलीसराइड निर्माण मे लिवर के भूमिका  होइत अछि।

7.लिवर पित्त(bile) के निर्माण करैत अछि जे कएल गेल भोजन के पचवै मे सहायक होइत अछि।

8.लिवर इन्सुलिन हॉरमोन तथा अन्य हॉरमोन सब के तोरैत अछि आ ओकर उपयोग मे अनैक योग्य बनबैत अछि।

9. लिवर कएल गेल भोजन सँ विटामिन ( विटामिन ए , विटामिन डी, विटामिन ई, विटामिन के,  विटामिन बी 12)आ खनिज सब( आयरन फेरी टीन रूप मे  जाहि सँ नया रक्त  कण बनैत अछि) कें संग्रहित करैत अछि आ आवश्यतानुसार ओकर सभक काज शरीर मे होइत रहैत अछि।

10. लिवर  भोजन मे लेल गेल वसा (fat) के अलग केनाय आ ओकरा संग्रहित केनाय के कार्य करैत अछि। आवश्यतानुसार जखन आवश्यता होइत अछि, ओहि सँ शरीरक हेतु ऊर्जा निर्गत होइत अछि।

11. लिवर शरीर मे जरूरत होइ बला एंटीबाडी और एंटीजन सभक सेहो निर्माण करैत अछि।

एहि तरहें लिवर शरीर मे बहुत महत्वपूर्ण काज सभ करैत अछि। लिवर स्वस्थ रहय ताहि लेल उचित खान पान और दिनचर्या अति आवश्यक अछि।


  लिवर विषय मे एक महत्वपूर्ण तथ्य अछि जे ओ बहुत शक्तिशाली होइत अछि। ओकरा अपन पुनर्निर्माण के क्षमता अद्भुद अछि। शरीरक करीब 10 प्रतिशत रक्त लिवर मे रहैत अछि।


अगिला ब्लॉग मे लिवरक बीमारी तथा ओकर उपचार सम्बन्ध मे चर्चा करब।

Comments

Popular posts from this blog

अस्थिर एनजाइना हेतु उपचार

हृदय सँ सम्बन्धित बीमारी(अस्थिर एनजाइना)