हृदयक आंतरिक संरचना।

 हृदयक आंतरिक संरचना।

रक्त वहाव नियंत्रण हेतु हृदयक अंदर प्रकोष्ठ एवं वाल्व निरंतर कार्य करैत अछि। मानव हृदय मे चारि गोट प्रकोष्ठ(चैम्बर) होइत अछि। निच्चा चारुक नाम अछि।

1.वाम भागक एट्रियम

2.दहिना भागक एट्रियम

3. वाम भागक वेंट्रिकल

4.दहिना भागक वेंट्रिकल

एट्रियम/एट्रिया

 एट्रिया वेंट्रिकल से छोट होइत अछि। एट्रियाक दीवाल वेंट्रिकल कें तुलना मे पातर आ थोड़ेक कम माँशपेशी वला होइत अछि।

एट्रिया रक्त प्राप्त करैक हेतु एक प्रकोष्ठ होइत अछि जे बड़ी नस(Large vein) सँ रक्त प्राप्त करैत अछि।

वेंट्रिकल

वेंट्रिकल नमहर प्रकोष्ठ होइत अछि संगहि ओ अधिक माँशपेशी

सँ बनल होइत अछि। ओ पम्प करैक काज करैत अछि। पम्प 

कए ओ रक्त कें संचरण(सर्कुलेशन) हेतु धकेल दैत छैक।

ओ बड़ी धमनी सँ जुरल रहैत अछि जेकि  रक्त परिसंचरण हेतु रक्त निर्गत करैत अछि।

दहिना एट्रियम एवं दहिना वेंट्रिकल वाम भागक प्रकोष्ठ(एट्रियम एवं वेंट्रिकल) सँ तुलनात्मक दृष्टि सँ छोट होइत अछि।

ओकर (दहिना  भागक प्रकोष्ठ) दीवाल सेहो कनी पातर होइत छैक, आकार सेहो कम होइत छैक, कनी कम मांशपेशी वला होइत अछि कारण दहिना आ वाम भाग वला प्रकोष्ठक कार्य अलग अलग अछि।

जे दहिना तरफ सँ रक्त अवैत अछि ओ फुफुस (पल्मोनरी) परिसंचरण सँ मगर वाम भाग वला रक्त जे प्रकोष्ठ सँ अवैत अछि ओकरा पम्प कए सम्पूर्ण शरीरक सभ अंग  मे पठौल जाइत अछि। प्रकोष्ठक कार्यक अनुरूप ओकर आकार एवं प्रकार होइत अछि।

 रक्त वहिका(Blood vessels)

मनुष्य मे बन्द परिसंचरण तंत्र होइत अछि। ओकर अर्थ ई अछि जे एहि परिसंचरण तंत्र मे रक्त बन्द नलिका मे वहैत अछि।

रक्तक दवाव आ गति अधिक रहैत अछि। पदार्थक आदान प्रदान उत्तक तरल सँ होइत अछि।

एहि तरहक परिसंचरण मे वहिकाक(vessels) आकार प्रकार आवश्यतानुसार कत्तौ छोट आ कत्तौ पैघ होइत अछि।

हृदयक वाह्य संरचना मे अनेकानेक रक्त वहिका कार्य करैत अछि,  और ओ हृदय अंतर्गत अन्य प्रमुख(major) रक्त वहिकाक संग मिलि एक नेटवर्क बनेने रहैत अछि तथा समग्र रूपेण पद्धति (systematic)सँ कार्य करैत रहैत अछि।

रक्त वहिका( Blood vessels) विभिन्न प्रकारक होइत अछि ।

1. नस(vein) : - नस द्वारा ऑक्सीजनरहित(De oxygenated) रक्त हृदय मे पहुँचैत अछि। हृदय मे पहुँचला सँ  पहिले  रक्त  इन्फीरियर एवं सुपीरियर वेना कावा मे जाइत अछि आ ओतय सँ ओकर निकासी दहिना भागक एट्रियम मे होइत अछि।

2. केशिका(capillaries):- धमनी और नसक बीच एक रक्त वहिकाक नेटवर्क जे बहुत पातर ट्यूब जकाँ होइत अछि तकरा केशिका (capillary) रक्त वहिका कहल जाइत अछि।

3.धमनी(Arteries):- रक्त वहिका जकर दीवार(wall) मांशपेशी सँ बनल(Mascular) होइत अछि आ ओ एक ट्यूब जकाँ होइत अछि। हृदय सँ ऑक्सीजनयुक्त रक्त शरीरक विभिन्न अंग मे ओही रक्त वहिका द्वारा जाइत अछि। एहि रक्त वहिका कें धमनी कहल जाइत अछि।

सबसँ नमहर धमनी ऐरोटा कहल जाइत अछि जकर शाखा प्रशाखा  विभिन्न अंग सँ छोट छोट धमनी सँ जुरल रहैत अछि। एहि छोट छोट धमनी सँ सभ अंग धरि ऑक्सीजनयुक्त रक्त आपूर्ति होइत रहैत अछि।


  हृदयक आंतरिक संरचनाक विषय मे चरचा केलौं अछि। अगिला ब्लॉग मे हृदयकआंतरिक संरचना मे वाल्व(valve) सम्बन्धित चर्चा करब।






 











Comments

Popular posts from this blog

अस्थिर एनजाइना हेतु उपचार

हृदय सँ सम्बन्धित बीमारी(अस्थिर एनजाइना)