एलर्जी

 09.11.2022

एंटीजन, एंटीबॉडी, एलरजीन इत्यादि।


हम चर्चा कs रहल छी किछु सामान्य छोट -छोट स्वास्थ्य सम्बंधित परेशानी। 

परेशानी जखन रहैत अछि तखन अपनो  आ लोको सब एहि विषय मे बतबैक प्रयास करैत छथि। एही सब संदर्भित किछु जानकारीक चर्चा क रहल छी।

 एलरजी*


जखन एकाएक कियो किछु बेसिये छिक्का करय लागैत छथि, नाक आँखि सँ  पैन निकलय लगैत छनि। एहि सब सँ परेशानी होइत छन्हि। किनको किनको किछु खेला पिला सँ सेहो परेशानी होमय लगैत छन्हि।


ई सब होइत अछि व्याप्त एंटीजन तथा एलर्जिनक कारण सँ। ई  ओहेन पदार्थ थिक जे शरीरक अंदर और वातावरण दुनू ठाम व्याप्त रहैत अछि।

ओ शरीरक प्रतिरक्षा प्रणाली के एंटीबॉडी हेतु सक्रिय करैत अछि ।एंटीबॉडी ओहि वाहरी पदार्थ सँ लरि ओकरा समाप्त करैत अछि या चेष्ठा करैत अछि। बनल एंटीबाडी के एकटा प्रकार के IgE कहल जाइत अछि। किनको किनको प्रतिरक्षा हेतु बनल IgE किछु अधिके प्रतिक्रिया करय लगैत अछि । तेँ हुनका लोकनि  के किछु बेसिये प्रभाव देखवा मे अबैत अछि।


वाहर सँ शरीर मे एलर्जिन , विषाणु (वायरस, बैक्टीरिया इत्यादि) प्रवेश करैक संभावना रहैत अछि जाहि सँ 

शरीरक अंदर प्रतिरक्षा तंत्र केर सक्रियता बढैक सम्भवना भ जाइत अछि।


वाहरी एलर्जिन तथा वाहरी विषाणु  सँ अगर बाँचि के रही त संभव अछि जे एहि परेशानी सभ सँ बाँची।

 किनको किनको लेल वाहरी एलर्जिन हेतु संभाव्य  बस्तु  या  स्थिति होइत अछि । ओकरा सँ बाँचि के रही । ओ सुरक्षा लेल सर्वोत्तम होइत अछि।

जेना कि

1. धूल कण

2.पराग

3.खाद्य पदार्थ सँ किनको किनको एलर्जी होइत छन्हि। उदाहरण अछि

दूध, माछ, अंडा, गहूम, इत्यादि। ओहि पर ध्यान देबाक चाही जे कोन खाद्य सँ परेशानी बढि जाइत अछि।

4. लेटेक्स

5. दवाइ

इत्यादि अनेकानेक स्थिति अछि।

 


विषाणु, और अन्य तरहक संभाव्य एलर्जिन सुरक्षा हेतु समेकित साफ सफाई पर ध्यान देनाइ आवश्यक अछि। कपड़ा, लत्ता,, ओछाइन -विछाओन , घरक फ्लोर, घरक अन्य राखल बस्तु सभ खूब

 साफ रहबाक चाही।


जँ कदाच परेशानी भ जाइत अछि  आ ओ बढ़ल रहैत अछि तखन ओकर प्रतिकार चिकित्सक लोकनि  एनटीहिस्टामिनिक/ स्टेरवाइड दबाई माध्यम  सँ करैत छथि।


सुरक्षात्मक निदान सर्वोत्तम निदान अछि। संगहि शरीरक प्रचुर इम्युनिटी लेल प्रयासरत रहब सेहो आवश्यक। एहि सँ अनावश्यक दवाइ सभक प्रयोग करवा सँ दूर रहब आ दवाइक दुष्प्रभाव सँ 

वांचब।  ओना परिस्थितिवस  कुशल चिकित्सक सँ संपर्क ,सुझाव  आ समुचित दवाइ तँ  आवश्यक छैहे।

Comments

Popular posts from this blog

अस्थिर एनजाइना हेतु उपचार

हृदय सँ सम्बन्धित बीमारी(अस्थिर एनजाइना)