मधुमेह बीमारीक छठम अवस्था (stage)

 07.11.2022

 मधुमेह बीमारीक छठम अवस्था(stage)


आब हम मधुमेह बीमारीक छठम अवस्थाक चर्चा कए  रहल छी।

 ई अवस्था थिक शरीर मे इन्सुलिन केर अभाव। जखन अग्न्याशय इन्सुलिन के लगातार श्राव करैत करैत अपन सक्षमता कम करय लगैत अछि आ बहुत कम इन्सुलिन श्राव क पवैत अछि तखन छठम अवस्था केर आगमन प्रारम्भ भs जाइत अछि। अग्न्याशयक बीटा कोशिकाक संख्या न्यून भ जेबाक कारणे ई होइत अछि। इन्सुलिनक निर्माण त बीटा कोशिकाक माध्यमे सँ होइत अछि । ओ न्यून भ गेल तँ स्वाभवतः बहुत कम इन्सुलिनक निर्माण भ रहल अछि एहि अवस्था मे।  इन्सुलिन केर भूमिका रक्त सँ  शरीरक कोशिका सभ मे ग्लूकोज़ के उघि ल जेनै अछि जेकि दिन प्रति दिनक आवश्यक शक्ति लेल परम जरूरी होइत अछि। अर्थात इन्सुलिन ग्लूकोज केर  वाहक( carrier) थिक ।  शरीर मे अपन अनुकूल इन्सुलिनक अभाव मे आब चिकित्सक मरीज लेल बाहर सँ इन्सुलिन हेतु सुझाव करैत छथिन्ह । कारण ई जे आब बाहरी दवाइ अग्न्याशय के इन्सुलिन बनेबा हेतु सक्रिय नहि क पवैत अछि । आब अग्न्याशय इन्सुलिन सँ अभावग्रस्त भ गेल अछि। ई जे अवस्था थिक ओ मधुमेहक छठम अवस्था कहबैत अछि। एहि में निदानक हेतु एक मात्र विकल्प वाहर सँ इन्सुलिन लेब अछि।

ई अवस्था नहि आवय ताहि लेल पाँचम अवस्था, आ सम्भव हुए तँ ओहि  सँ पूर्वहि सँ अपन खान पान दुरुस्त क ओकरा  हेतु निवारण करी। ई  सुरक्षात्मक सर्वोत्तम प्रयास होयत।


एहि तरहेँ हम मधुमेह बीमारी आ ओकर सभ अवस्थाक विस्तृत चर्चा कयलहुँ अछि। पूरा देश मे जाहि तरहेँ एहि मधुमेह बिमारीक  द्रुत प्रसार भs रहल अछि  ओ बहुत चिन्ताक विषय अछि। हमर एहि आलेखक मुख्य उद्देश्य ई अछि जे आम लोक सभ मे सजगता आवनि ताकि  एहि बिमारी सँ पूर्ण रूपेण बाँचल जा सकय।  भरोस जरूर अछि  जे एहि आलेख सँ किछु ने किछु लाभ लोक के जरूर होयतन्हि।

इति चर्चा।

धन्यवाद।

Comments

Popular posts from this blog

अस्थिर एनजाइना हेतु उपचार

हृदय सँ सम्बन्धित बीमारी(अस्थिर एनजाइना)