मधुमेह बीमारीक तेसर अवस्था(stage)

 O5.11.2022

मधुमेह बीमारीक तेसर चरणक स्थिति।

अझुका दिन हम चर्च क रहल छी मधुमेहक तेसर चरण केर संदर्भ में।

एखन तक के स्थिति मे भs ई रहल छल जे  असंयमित खान- पान के कारणे एक तरफ रक्त में ग्लूकोज़ बढि रहल अछि आ दोसर तरफ इन्सुलिन सेहो। मगर शरीरक कोशिका सभ इन्सुलिन लेल निरंतर प्रतिरोध क s रहल अछि । दिनानुदिन प्रतिरोध बढिये रहल अछि।

एही क्रम में अग्न्याशय  आओर ओहि सँ श्रावित होई वला इन्सुलिन  अनियंत्रित(unregulated) होमय लगैत अछि। अर्थात कखनो कम्मे आओर कखनो आवश्यकता सँ अधिके इन्सुलिन श्रावित होमय लगैत अछि। कखनो काल भोजन उपरान्त अग्न्याशय खूब अधिक इंसुलिन श्रावित क दैत अछि। 

ई जे स्थिति अबैत अछि ओहि में जखन रक्त में चीनी केर परीक्षण करबैत छी त  भुखल पेट वला परीक्षण रिपोर्ट सामान्य सँ कम अबैत अछि आ भोजन उपरान्त जतेक बढ़ल अबैक चाही एहि सँ बहुत कम। एहनो होइत अछि जे भुखल पेट वला रक्त परीक्षण रिपोर्ट स्तर सँ भोजन उपरान्त वला रक्त परीक्षण रिपोर्ट परिणाम कम्मे अबैक।

ओहेनका स्थिति जँ अबैत अछि त ओकरा हाइपोग्लाइसीमिया कहल जाइत अछि। अर्थात न्यून सर्कराक स्थिति। ओहि स्थिति में कोनो संदर्भित कुशल चिकित्सक सँ परामर्श क लेबाक चाही जाहि सँ सुनिश्चित भ सकय कि आखिर की बात छैक।


मधुमेह के तेसर चरण में किछु लक्षण सब सेहो परिलक्षित भ सकैत अछि। जेना कि भूख के बहुत तीब्र अनुभूति। कनियो देरी भेला पर चिड़चिड़ापन अर्थात अनावश्यक क्रोध। सदिखन किछु ने किछु खाय लेल मोन छुछवैत रहनै। वजन और मोटापा बढि सकैत अछि। सदिखन  बिना कारण , थाकल - थाकल जकाँ लगैत रहनाइ। रक्त चाप सेहो  बढ़ल के क्रम में  भs सकैत अछि। भोजन केलाक उपरान्त बहुत आनन्दक अनुभव ।  भोजन उपरान्त  ओंगही लागय लगैत अछि। मिठाई खेबाक इच्छा होइत रहैत अछि।


एहि चरण में होइत ई अछि जे हम बुझैत छी  हम्मर चीनी त कम अछि। थोरे मोरे मिठाई या चीनी खायल करब त ओ अपने ठीक भ जायत। किछु लोक सभ सेहो ओहने परामर्श दैत छथि।

मगर ई बात बिल्कुल नहि। रक्त परीक्षण और कुशल चिकित्सक सँ परामर्श आवश्यक अछि ओहि स्थिति में।  हँ, खान पीन ओहेन जरूर हेबाक चाही जे कर्बोहायड्रेट कनी कम(  प्रति दिनक लेल समुचित ग्लाइसेमिक लोड अनुरूप)। ओहेन अनाज जाहि में प्रोटीन इत्यादि ज्यादा होइक आ कार्बोहायड्रेट  बहुत ज्यादा नहि।  हरियर तरकारी सब , शुष्क फल सभ( नट्स)।  जकर ग्लायसेमिक इंडेक्स  और तदनुरूप  शुद्ध ग्लाइसेमिक लोड कम होइक ओहेन फल सभ सेहो खा सकैत छी।


मधुमेह बिमारी बिल्कुल छुटय तरफ भ जा सकैत अछि जँ अपन खान पान  ग्लाइसेमिक इंडेक्स  और ग्लाइसेमिक  लोड आधारित उपयुक्त डाइट लेनाइ प्रारम्भ करैत छी।

ओना कुशल चिकित्सक सँ परामर्श आवश्यक अछि एहि सभ लेल।


आब हम मधुमेहक चतुर्थ चरण केर संदर्भ में अपन अगिला ब्लॉग मे चर्चा करब।

Comments

Popular posts from this blog

अस्थिर एनजाइना हेतु उपचार

हृदय सँ सम्बन्धित बीमारी(अस्थिर एनजाइना)